Tuesday, July 29, 2014

Gonu Jha - 2

एक दिन गोनू झा बसुआ सं कहलथिन, "रौ बसुआ, तों बड्ड झूठ बजै छैं। तें बाज' काल किछु सोचल कर।"

एहि पर बसुआ कहलकनि, "मालिक औ, हम झूठ बजै छी से बुझबे नइ करै छिऐ।"

"अच्‍छा तं एकटा काज कर।" गोनू झा कहलथिन, "जत' हमरा झूठ बुझाएत ओत' हम ऊंहूं क' देबौ आ तों सम्‍हरि जइहें।"

"ठीक छई।"

ई संकेत दैत गोनू झा बसुआक संग पहुंचला एकटा भोज मे। दरबजा पर तमाम लोक बैसल रहैक। ओहि मे सं एक गोटे पुछलकनि, "एतेक देरी कत' भ' गेल?" गोनू झा के बजबा सं पहिनहि बसुआ बाजि उठल, "की कहू, अबैत छलहुं तं रस्‍ता मे एकटा पचास हाथक गहुमन देखलिऐ।"

"ऊंहूं", गोनू झा कएलथिन।

"नइ-नइ, गहुमन दूर रहै, लग मे गेलिऐ तं चालीस हाथ सं कम के नइ रहै।"

पुन: पुन: गोनू झा "ऊंहूं" कएलथिन।

"नइ-नइ, हमरा लग मे एकटा ढेपा रहय। टिका क' गहुमन कें मारलिऐ तं चारू नाल चित्त भ' गेलै। तखन पकड़ि क' नपलिऐ तं तीस हाथक भेलै।"

गोनू झा फेर ऊंहूं कएलथिन।

एहिपर बसुआ गोनू झा सं कहलकनि, "एह मालिक, अहूं हमरा बड़ तंग करै छी। आब तं हम गहुमन कें पकड़ि क' नापियो लेलिऐ। आब अहीं कहूं ने जे कत' घटबियौ?"

Gonu Jha - 1

गोनू झा सुतबाक कमरा मे बैसल छलाह। संग मे बसुआ सेहो छलनि। ओ बसुआ सं कहलथिन, 'रौ बसुआ, लघुशंका कर' जायब। देखही तं बाहर मे, पानि पड़ै छै?'

बसुआ जवाब देलकनि, 'मालिक, एखने बिलाड़ि‍ बाहर सं घर आयल अछि। ओकरा पकड़ि‍ क' देखियौ ने, देह भीजल हेतै तं पानि पड़ैत हेतै आ नइ भीजल हेतै तं नइं पड़ैत हेतै।'

किछु कालक बाद फेर बसुआ सं कहलथिन, 'रौ बसुआ, ओछाओन झाड़, पड़ब।'

बसुआ जवाब देलकनि, 'मालिक अहां प'ड़ू ने, भिनसरे मे हम अ‍हांक देह झाड़ि‍ देब।'

पुन: किछु कालक बाद बसुआ के कहलथिन, 'रौ बसुआ, डिबिया मिझा दही।'

एहि पर बसुआ जवाब देलकनि, 'मालिक, अहां आंखि मूनि लिअ ने, बुझबै जे डिबिया मिझा गेलै।'

फेर किछु कालक बाद बसुआ के कहलथिन, 'रौ बसुआ, केबाड़ लगा दही।'

'एह मालिक, अहूं बड़ तंग करै छी। तीन टा काज हम कैए देलहुं आ एकटा अपने क' लेब से नहि।'